मैथिली ठाकुर
मैथिली ठाकुर एक भारतीय गायिका थीक।[१]सन् २०१७ मे भारतीय गायन रियालिटी कार्यक्रम राइजिङ स्टारक पहिल संस्करण मे सहभागिता देखओलाक बाद ओ चर्चा मे आएल छल। ओहि गायन-कार्यक्रम मे ॐ नम: शिवाय बोलक गीत गओलाक बाद सुश्रीठाकुर के सीधे फाइनलक लेल चुनल गेल छल। मैथिली ओ रियालिटी कार्यक्रमक फाइनल मे पहुँचऽवला पहिल प्रतिस्पर्धी छल।[२] २ मतक छोट अन्तर सँ हुनका दोसर स्थान मे अपन मोन बुझाब' पड़ल छल।[३] एहि रिय'लिटी कार्यक्रम मे हुनकर सफलताक कारणे हुनकर इन्टरनेट लोकप्रियता अतिशीघ्र बढल छल। हुनका द्वारा युट्युब आ फेसबुकमे कएल जाएवाला भिडियो सभ मे ७०,००० सँ ७० लाखधरि झलक अबैत अछि।[४][५] ओ विशेष क' मैथिली तथा भोजपुरी गीत गबैत अछि जाहि मे छठिक गीत आ' कजरी सेहो रहैत अछि। एकरा छोड़ि ओ बाॉलीवुड चलचित्रक गीत आ भारतक अन्य राज्यक लोकगीतसभ गबैत अछि।[१]
हुनकर युट्युब भिडियो मे हुनका सङ्गे हुनकर दुनू छोट भाए ऋषभ आ' आयाची रहैत अछि । ऋषभ तबला वादकक रुप मे आ आयाची गायकक रुप मे हुनक सहयोग करैत अछि।[४][१] सन् २०१९ मे भारतीय निर्वाचन आयोग हुनका सङ्गे हुनकर दुनू भाए कें मधुबनीकें ब्रान्ड एम्बेसडर बनओने छल।[१][६] सन् २०१५ मे ओ भारतीय साङ्गीतिक कार्यक्रम 'आई जिनियस यङ सिङ्गिङ स्टार' जीतने छल आ' ओहि वर्ष ओ 'या रब्बा' (युनिभर्सल म्युजिक) नामक साङ्गीतिक एल्बम बजार मे प्रदर्शित भेल छल।[७] हुनकर फेसबुक पृष्ठ मे २० लाख आ' इन्स्टाग्राम खाता मे ७० लाख फोलोअर्स अछि।[८]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ १.० १.१ १.२ १.३ Khurana, Suanshu (29 April 2019)। "Vocalist Maithili Thakur and her two brothers on being Election Commission's brand ambassadors in Madhubani" [मैथिली आ हुनकर दूनु भाए जिला निर्वाचन कार्यालय मधुबनीक ब्राण्ड-एम्बेसडर मे]। द इण्डियन एक्सप्रेस (अङ्ग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-08-18।
{{cite web}}
: Cite has empty unknown parameter:|dead-url=
(help)CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "Rising Star: Maithili Thakur is the first finalist; who'll ultimately win the show?" [राइजिङ स्टार: पहिल फाइनलिस्ट मैथिली ठाकुर जे लगभग कार्यक्रम जीतल छल?]। इण्डिया टुडे (अङ्ग्रेजीमे)। 17 April 2017। अन्तिम पहुँच 2019-08-18।
{{cite web}}
: Cite has empty unknown parameter:|dead-url=
(help)CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ PTI (24 April 2017)। "Bannet Dosanjh wins Rising Star, defeats Maithili Thakur by just two votes"। Hindustan Times (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-08-18।
{{cite web}}
: Cite has empty unknown parameter:|dead-url=
(help) - ↑ ४.० ४.१ Bhatt, Shephali (4 November 2019)। "How life changes for internet celebrities - good, better, and sometimes worse"। The Economic Times। अन्तिम पहुँच 2019-08-18।
- ↑ ""बिहार की ये बेटी रातों रात बन गई सिंगिंग सेंसेशन", "18 की उम्र में फेसबुक ने बनाया सुपरस्टार""। Amar Ujala। 10 October 2018। अन्तिम पहुँच 2019-08-18।
{{cite web}}
: Cite has empty unknown parameter:|dead-url=
(help) - ↑ ""गायिका मैथिली ठाकुर बनीं मधुबनी की ब्रांड एंबेस्डर-निर्वाचन आयोग ने लिया फैसला""। Zee News Hindi (अंगरेजीमे)। 3 December 2018। अन्तिम पहुँच 2019-08-18।
{{cite web}}
: Cite has empty unknown parameter:|dead-url=
(help) - ↑ "Max Life Insurance launches 3 albums for the Winners and Runner's Up of i-genius Young Singing Stars Season 2"। The Hans India (अंगरेजीमे)। 14 September 2016। अन्तिम पहुँच 2019-08-18।
{{cite web}}
: Cite has empty unknown parameter:|dead-url=
(help) - ↑ "Maithili Thakur"। Facebook (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-08-18।
{{cite web}}
: Cite has empty unknown parameter:|dead-url=
(help)